महाकवि विद्यापति
मैथिलीक आकाशमे विद्यापति एकटा एहन नक्षत्रराज भेलाह जनिका लऽकऽ हमरालोकनि आन-आन भाषा-भाषीक समक्ष गौरवक अनुभव कऽरहल छी । बङ्गालीलोकनि हिनक कृतिसँ मुग्ध भऽकऽ हिनका बङ्गाली बनएबाक अथक प्रयास सेहो कएलनि, मुदा ओलोकनि सफल नहि भेलाह । महामहोपाध्याय हरप्रसाद शास्त्री, जस्टिस शारदाचरण मित्र, बाबू नगेन्द्रनाथ गुप्त आदि बङ्गाली विद्वानलोकनि मानि लेलनि जे विद्यापति बङ्गाली नहि, मिथिलावासी…
